माँ भवानी केॅ दर्शन करय लय चलू।
बेरंग जिनगी केॅ रंग सॅ भरय लय चलू।।
माँ भवानी…. माँ भवानी…….
लाल चोला आ चुनरी सेहो छै लाल।
लाल बिन्दिया आ चूड़ी करय छै कमाल।।
मांग अप्पन सिनुर सॅ भरय लय चलू।
माँ भवानी केॅ दर्शन करय लय चलू।।
माँ भवानी….. माँ भवानी
पियर साड़ी छै पियर माँ केर सिंगार।
मांग टीका आ नथुनी पियर छै हार।।
आय विनती “विनयचंद “करय लय चलू।
बेरंग जिनगी केॅ रंग सॅ रंगय लय चलू।।
माँ भवानी केॅ दर्शन करय लय चलू।
माँ भवानी…. माँ भवानी….
देवी गीत
Comments
4 responses to “देवी गीत”
-
Jai ho
-

सुन्दर
-

Jai maa
-
Good
Leave a Reply
You must be logged in to post a comment.